मधुबनी बस दुर्घटना पर मुख्यमंत्री जतौलनि दुःख, मृतकक परिजन के सहायता राशि आ घायल के देल जायत मदद

    0
    507

    पटना, मिथिला मिरर: मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मधुबनी जिलाक बसैठ मे भेल बस दुर्घटना मे पीड़ित परिवार के हर संभव मदद करबाक बात कहलनि। नीतीश कुमार ट्वीटर के माध्यम सं कहलनि जे, दुर्घटना बहुत मार्मिक अछि। मुख्यमंत्री कहलनि जे, सरकार द्वारा मृतकक परिजन के अनुग्रह अनुदान तथा दुर्घटना मे घायल व्यक्ति के हर संभव मदद देल जायत।

    ज्ञात हो कि सोमदिन ग्यारह बजेक करीब मधुबनी सं सीतामढ़ी जाय घरी मे एकटा यात्री बस बेनीपट्टी बसैठ मे साईकिल सवार के बचेबा घरी मे अनियंत्रित भय गेल आ विशाल पोखरि मे खसि पड़ल। जाहि मे 50 सं अधिक यात्री के मरबाक आशंका व्यक्त कायल जा रहल अछि।