दरभंगा मे मरीजक संख्या मे बढ़ोतरी, अस्पताल जारी केलक अलर्ट

    0
    278
    पिछला एक सप्ताह मे दिल्ली स वापस आयल लगभग दू दर्जन डेंगू पीड़ितक इलाज दरभंगा मेडिकल कॉलेज मे चलि रहल अछि। सप्ताह भरि सं इलाज करवा रहल मरीजक हालत मे कुछु सुधार त अछि, मुदा परिजन के मोनक कसक अहि बातक अछि जे, सरकार जतेक घोषणा करैत अछि ओ अस्पताल मे नहि भेटैत अछि।
    डेंगू के मरीजक लेल अस्पताल दिस सं अलग वार्ड त निर्धारित कायल गेल अछि, मुदा सुविधाक उचित व्यवस्था नहि हेबा सं परिजन मे काफी आक्रोश अछि। अस्पताल प्रशासनक मानी त एखन अस्पताल मे डेंगू के 10 गोट मरीजक इलाज चलि रहल अछि आ किछु मरीजक एखन धरि रिपोर्ट नहि आयल अछि।