‘वाइस ऑफ़ दरभंगाकें’ संपादक अभिषेक कुमारकें उत्कृष्ट पत्रकारिता सम्मान

    0
    278

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: जानकी नवमी उत्सव सम्पूर्ण मिथिलामे मनेबाक लेल वाइस ऑफ़ दरभंगा न्यूज़ पोर्टल द्वारा लगातार विशेष मुहिम चलाओल गेल। जाहिकेँ अंतर्गत बृहस्पति दिन जानकी नवमी पर ऑल इंडिया ब्राह्मण फेडरेशन द्वारा विशेष पूजाक आयोजन कएल गेल। अहि उपलक्ष्यमे संस्थाक प्रदेश अध्यक्ष उदयशंकर चौधरी द्वारा ‘वाइस ऑफ़ दरभंगा’ न्यूज़ पोर्टलकें सम्पादक अभिषेक कुमारकें उत्कृष्ट पत्रकारिताक लेल सम्मानित कएल गेल।

    अहि अवसर पर अभिषेक कुमार कहलनि जे, ई सम्मान सब मैथिलक सम्मान अछि, जे माँ जानकीक अराधनाकें समर्थन केलनि। अहि मौक़ा पर डॉ. आनन्द प्रकाश झा, मुकुंद चौधरी, प्रभात कुमार, शरद चौधरी, बमबम झा सहित बहुतो लोक मौजूद छल।