धूमधाम सं मनाओल गेल जानकी नवमी

    0
    270

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बृहस्पति दिन मिथिलामे ऑल इंडिया ब्राह्मण फेडेरेशन द्वारा जानकी नवमीकें उत्सवक रूपमे मनेबाक शुरुआत कएल गेल। ऑल इंडिया ब्राह्मण फेडेरेशनकें प्रदेश अध्यक्ष उदय शंकरकें लहेरियासराय स्थिय आवास पर आयोजित कार्यकर्ममे अलग-अलग दल एवं संस्था सं जुड़ल लोकक उपस्थिति देखल गेल। अहि अवसर पर माँ जानकीक गीतकें स्वर दए सुनील कुंवर माहौलकें संगीतमय कए देलनि।

    प्रदेश अध्यक्ष कहलनि जे, ई संस्कार आ सम्मानक लड़ाई अछि। माँ मैथिलिक बिना मिथिलाक कल्पना नहि भए सकैत अछि। सीताकें बिना रामक कोनो अस्तित्व नहि। अगिला साल सं जानकी नवमी समुच्चा हिंदुस्तानमे मनाओल जाएत।

    अहि अवसर पर निखिल झा, बालेंदु झा, डा0 आनन्द प्रकाश, गोपाल झा, कृष्ण मोहन झा, उमेश चौधरी, जय मिश्रा, सत्येंद्र झा, दिलीप झा, रामकुमार मिश्र, सुनील मिश्र सतीश ठाकुर, रजनीश मिश्रा, अभिषेक झा, गिरधर गोपाल सहित भारी संख्यामे लोक उपस्थित छल।