फिरोजपुर-दरभंगाक बीच 9 मई सं 29 मई धरि चलत स्पेशल ट्रेन

    0
    274

    दरभंगा, मिथिला मिरर: फिरोजपुर आ दरभंगाक बीच 9 मई सं 29 जून धरि सप्ताहमे एक दिन स्पेशल ट्रेनक परिचालन कएल जाएत। गाड़ी संख्या 04974 फिरोजपुर दरभंगा स्पेशल 9 मई सं 27 मई धरि सब मंगलदिन 19:10 बजे खुजि कए बृहस्पति दिन 3:45 बजे दरभंगा पहुँचत।

    वापसीमे गाडी संख्या 04973 दरभंगा फिरोजपुर 11 मई सं 29 मई धरि प्रत्येक बृहस्पतिदिन दरभंगा सं 7:30 बजे खुजि कए शुक्रदिन 17:30 बजे फिरोजपुर पहुँचत। ई ट्रेन दरभंगा आ फिरोजपुरकें बीच अप आ डाउनमे समस्तीपुर, मुजफ्फरपुर, हाजीपुर, सोनपुर, छपरा, सिवान देवरिया सदर, गोरखपुर, बस्ती, गोंडा, बरेली, मोरादाबाद तथा लुधियाना स्टेशन पर रुकर। ट्रेनमे 12 टा स्लीपर, 3 टा सामान्य, 2 टा एसएलआर सहित कुल 17 टा कोच रहत।