नवादा सं विभिन्न परियोजनाक उद्घाटन केलनि रेलराज्य मंत्री मनोज सिन्हा

    0
    302

    हाजीपुर, मिथिला मिरर: बृहस्पति दिन नवादा रेलवे स्टेशन पर आयोजित एकटा कार्यक्रममे रेल राज्य मंत्री मनोज सिन्हा द्वारा किउल-गया रेलखण्डक दोहरीकरण तथा तिलैया-किउल रेलखण्डक विधुतीकरण काजक शुभारम्भ कएल गेल। अहि कार्यक्रमकेँ उपरांत मनोज सिन्हा गया स्टेशन पर नवनिर्मित पैदल पुल, विस्तारित प्लेटफार्म संख्या 8 एवं 9 तथा डीलक्स शौचायलकें उद्घाटन केलनि। मंत्री अहिकेँ उपरांत नरहट, खानवा आ शेखपुरा जीपीमे रिमोट द्वारा एनओएफएन सेवा शुभारम्भ केलनि।

    अहि अवसर पर सूक्ष्म, लघु एवं मध्यम उद्यम राज्य मंत्री गिरिराज सिंह, सांसद चिराग पासवान, विधायक अरुणा देवी, अनिल सिंह, विजय कुमार सिन्हा, रणधीर कुमार सोनी समेत बहुतरास गणमान्य उपस्थित छलाह।

    अहि अवसर पर मंत्री अपन संबोधनमे कहलनि जे, अहि रेलखंडक लाभ त बिहारक लोककेँ भेटबे करत संगहि दिल्ली-हावड़ा-मालदा मार्ग पर यात्रा करए वला यात्रीकेँ सेहो भेटत। ओ कहलनि जे, ई रेलखंड वर्तमानमे ग्रैंडकॉर्ड एवं में लाइन पर यतयातकें दबावकें करएमे सेहो अपन महत्वपूर्ण भूमिका निमाहत।