किसान के नहि भेट रहल डीजल अनुदान’क राशि

    0
    266

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: डीजल अनुदानक सरकारी घोषणाक हवा निकलि चुकल अछि। जहन कि किसान स लेल गेल आवेदन एखनहु प्रखंड तथा कृषि विभागक पेंच मे फंसि कय धूल फांकि रहल अछि। ओतहि किसान दर-दर के ठोकर खेबाक लेल विवश अछि। जहन कि किसान के हमेशा जल्दिये भुगतानक आश्वासन देनाय विभागक दिनचर्या बनि गेल अछि।

    आश्चर्यजनक बात त ई अछि जे, बीतल वर्ष स अनुदानक राशि किसान के नहि भेटल अछि। जहन कि बताओल जा रहल अछि जे, सरकारक घोषणा के संगहि ट्रेजरी स उक्त खाताक निकासी कय लेल गेल अछि।

    सूत्रक अनुसार उक्त अनुदानक राशि किसान के बजाय प्रखंड कार्यालयक खातक शोभा बढ़ा रहल अछि। जहन कि किसानक बीच हाहाकार मचल अछि। किसान राशि के अभाव मे खेतक पटवन करय वला खर्च स परेशान अछि। जकर असर फसल पर पड़ि रहल अछि। सरकारी नियमानुसार एखन किसान के प्रति एकड़ पटवन राशि 300 रुपैया निर्धारित अछि।