छपरा मध्याह्न भोजन मामला मे प्रिंसिपल मीना देवी के 10 सालक सजा

    0
    273

    छपरा, मिथिला मिरर: छापरा के मध्याह्न भोजन मामला मे न्यायालय स्कूल के प्रिंसिपल के दस सालक सजा सुनेलक अछि। जाहि के बाद न्यायालय मे उपस्थित प्रिंसिपल मीना देवी कानय लगली।

    ज्ञात हो कि 16 जुलाई 2013 क सारण जिला के मशरक प्रखंड के गंडामन धर्मासती गाम मे जहरीला मध्याह्न भोजन खेबाक कारने 23 टा बच्चाक मौत भय गेल छल। रसोइया तथा 24 टा बच्चा के छपरा आ पटना मे बहुत दिन धरि इलाज चलल छल। ओहि समय मे मीनाा देवी स्कूलक प्रिंसिपल छली।

    उक्त मामला मे 24 अगस्त क छपरा न्यायालय के एडीजे 2 विजय आनंद के न्यायालय मे आरोपी मीना देवी के धारा 304 आ 308 के तहत दोषी करार देल गेल। हालाँकि मीना देवी के पति आ अप्राथमिकी अभियुक्त अर्जुन राय’क रिहाई भय चुकल अछि। मीना देवी 3 साल स छपरा जेल मे बंद छथि।