बाढ़ि प्रभावित कोसी अंचल के दौरा पर मुख्यमंत्री

    0
    268

    मिथिला मिरर: बिहार के कोसी अंचल मे आयल बाढ़ि के जायजा लेबाक लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सोमदिन सबेरे सं कटिहार आ पूर्णियाक दौरा पर छथि। नीतीश कुमार भोरे 10 बजे पूर्णिया सर्किट हाउस स कटिहार के लेल रवाना भेलाह। मुख्यमंत्री सड़क मार्ग स पहिने बरारी गेलाह, जतय ओ बाढ़ि प्रभावित क्षेत्रक जायजा लेताह, तकरा बाद मुख्यमंत्री कटिहार के लेल रवाना हेताह।

    पूर्णिया सर्किट हाउस मे नीतीश पूर्णिया के सांसद संतोष कुशवाहा, धमदाहा विधायक लेशी सिंह, बीमा भारती, जिला परिषद अध्यक्ष, नगर निगम के मेयर सहित बहुतो नेता स मुलाकात केलनि। नेता सब मुख्यमंत्री के समक्ष पूर्णियाक विकास आ बाढ़ि स भेल नुकसान स संबंधित बात रखलनि।

    पूर्णिया मे मुख्यमंत्री के बहुतो संगठन के लोक ज्ञापन सौंपलकनि। मदरसा शिक्षक, पीएचडी धारक अभ्यर्थी सेहो मुख्यमंत्री के ज्ञापन सौपलनि आ अप्पन समस्या सं अवगत करौलनि।