भाजपा सांसद छेदी पासवान के सर्वोच्च न्यायालय सं राहत, संसद के सदस्यता बरक़रार

    0
    268

    दिल्ली, मिथिला मिरर: बिहार के सासाराम स भाजपा सांसद छेदी पासवान के सर्वोच्च न्यायालय सं बड़का राहत भेटलनि। न्यायालय छेदी के लोकसभा सदस्यता रद्द करबाक पटना उच्च न्यायालय के फैसला पर रोक लगा देलक।

    सर्वोच्च न्यायालय ई रोक छेदी पासवान दिस सं दायर याचिका पर सुनवाई करैत लगौलक अछि।सासाराम सं भाजपा सांसदक सदस्यता के किछु दिन पहिनहि पटना उच्च न्यायालय निरस्त करबाक आदेश देने छल।

    छेदी पासवान पर आरोप अछि जे, ओ चुनावक दौरान नामांकन पत्र के संग जमा कराओल गेल शपथपत्र मे अपना खिलाफ दर्ज सब आपराधिक मामला के जानकारी नहि देने छलाह।