लोकसभा मे उठल पटना मे दलित पर लाठीचार्जक मामला, सीबीआई जांचक मांग

    0
    302

    दिल्ली, मिथिला मिरर: पटना मे छात्रवृत्तिक लेल दलित छात्र द्वारा प्रदर्शन के दौरान पथराव आ पुलिस लाठीचार्जक मुद्दा आय लोकसभा मे उठल। विभिन्न राजनीतिक दल सब बिहार मे नीतीश सरकार पर तानाशाहीक आरोप गलबैत अहि मामलाक जाँच सीबीआई करेबाक मांग केलक।

    लोकसभा मे शून्यकालक दौरान लोक जनशक्ति पार्टीक सांसद चिराग पासवान ई मुद्दा उठबैत कहलनि जे, दलितक मसीहा बाबा साहब भीमराव अम्बेडकरक प्रतिमा समक्ष दलित छात्र के दौड़ा-दौड़ा कय पिटल गेल। ओ कहलनि जे, दलित छात्र छात्रवृत्ति मे कटौती के खिलाफ प्रदर्शन कय रहल छल। पासवान कहलनि जे, बिहार मे दलित छात्रक हाल बहुत ख़राब अछि। छात्र के लेल बनल अम्बेडकर छात्रावास मे मूलभूत सुविधा तक नहि अछि। पासवान आरोप लगौलनि जे, प्रदेशक सत्ता मे बैसल लोक दलित समुदाय के आगू बढ़ैत नै देखय चाहैत अछि।

    जन अधिकार पार्टीक संयोजक राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव लोकसभा मे अहि मुद्दा के उठबैत आरोप लगौलनि जे, बिहार मे एकटा तानाशाह सरकार एहेन कानून बनौलक जाहि मे यदि किनको घर मे शराब पाउल जायत त हुनकर माता-पिता के सेहो गिरफ्तार कायल जायत। ओ कहलनि जे, एहेन कानून के वापस लेबाक लेल केंद्र सरकार के हस्तक्षेप करबाक चाही।