हावीडीह घटनामे अंगरक्ष गिरफ्तार, 64 गोटे नामजद तथा 500 अज्ञात लोकक खिलाफ प्राथमिकी

    0
    303
    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: बहेड़ी थानाक हावीडीहमे दलित पर गोली चलाबए वला सदर एसडीओके अंगरक्षक मो. आफताब आलमकें गिरफ्तार कए जेल पठा देल गेल। ओतहि 64 गोटेकें नामजद कएल गेल तथा 500 अज्ञात लोकक विरूद्ध प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि। अपर पुलिस महानिदेशक गुप्तेश्वर पांडेय घटनाक बाद सं लगातार कैम्प कए रहल छथि। ओतहि अंगरक्षकके विरूद्ध हत्याक अलावा अनुसूचिव जाति-जनजाति अधिनियतके तहत मामला दर्ज कएल गेल अछि।
     
    अहि बीच मृतकक आश्रितकें 4 लाख 23 हजारक राशि मुआवजाक किस्तके रूपमे देल जाएत। ओतहि घायलकें 20-20 हजार रुपैया देबाक स्वीकृति देल गेल अछि। घटनाक संवेदनशीलताकें देखैत जिलाधिकारी डॉ. चंद्रशेखर सिंह, एसएसपी सत्यवीर सिंह, मौका पर कैम्प कए रहल छथि।
     
    जिलाधिकारीके ओएसडी रविन्द्र दिवाकर कहलनि जे, जिलाधिकारी डॉ. चंद्रशेखर सिंह दुनू पक्ष सं साम्प्रदायिक सौहार्द बनेबाक अपील केलनि अछि। स्थिति पूरा नियंत्रणमे अछि आ शांति बनल अछि।