भागलपुर मे प्रेक्षागृह के निर्माण’क रस्ता साफ

    0
    257

    भागलपुर, मिथिला मिरर: भागलपुर मे प्रेक्षागृहक निर्माण के रस्ता साफ भय गेल अछि। आयुक्तक पहल पर कला, संस्कृति विभागक प्रधान सचिव चैतन्य प्रसाद निर्माणक लेल मौखिक सहमति दय देलनि अछि। आयुक्त कहलनि जे, प्रेक्षा गृहक निर्माण के लेल केंद्रक पांच करोड़ रुपैया राज्य सरकार लग अछि। शीघ्र जमीनक व्यवस्था नहि भेला पर राशि वापस चलि जायत। आयुक्त कहलनि जे, एक सप्ताह मे स्थलक चयन भय जायत।

    दरअसल, सोमदिन आयुक्त सं भेंट करबाक लेल सांस्कृतिक समन्वय समितिक एकटा प्रतिनिधिमंडल गेल छल। प्रतिनिधिमंडल कहलक जे, प्रेक्षा गृहक मांग एक दशक सं कायल जा रहल अछि। डॉ. चंद्रेश कहलनि जे, ई शहर कथाशिल्पी शरतचंद्र, बनफूल सं लय कय फिल्मकार तपन सिन्हा, अशोक कुमार समेत बहुतो विभूति स जुड़ल अछि। एतय युवा रंगकर्मी शहरक नाम रौशन कय रहल अछि। मुदा एतय एकटा प्रेक्षागृह नहि अछि। जतय शहरक रंगकर्मी तथा संस्कृतिकर्मी अप्पन क्षमता व प्रतिभाक नियमित प्रदर्शन कय सकय।

    ओ कहलनि जे, राजस्व के होबय वला बैसक मे जमीनक मामला पर विचार कायल जायत। ज्ञात हो कि पूर्व मे छावनी कोठी मे स्वास्थ्य विभागक जमीन पर प्रेक्षा गृहक निर्माणक लेल भूमिक चयन भेल छल।