बेनीपट्टी प्रखंड मुखिया संघक अध्यक्ष बनाओल गेलाह मिथिलेश मिश्र

    0
    310

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बेनीपट्टी प्रखंडक गांधी स्मृति भवनमे प्रखंड मुखिया संघक बैसकमे सर्वसम्मति सं मिथिलेश मिश्र कें प्रखंड मुखिया संघक अध्यक्ष आ किरण देवीकें उपाध्यक्ष चुनल गेल। बैसकमे मुखिया संघक जिला अध्यक्ष कृपानन्द आजाद, राजद नेता राजेश यादव, लालनारायण सिंह, निभाष कुमार, अमरेन्द्र कुमार मिश्र, प्रेमशंकर राय, किरण देवी, शिला देवी, कमल बैठा, मंजू देवी, इन्दु देवी, सुनिता चौधरी, जगेश्वर यादव, भगवान नारायण झा, बिक्रान्त सिंह, गनौर सदाय, गुलाब ठाकुर, अब्दुल मालीक, अजय झा, अजीत पासवान, प्रमोद पूर्वे, विष्णु सहनी, विन्देश्वर मंडल, देवेन्द्र यादव, अरुण साह, कुमारी रीता गुप्ता, प्रभात कुमार कर्ण, लीला देवी रानी देवी सहित बहुतो लोक मौजूद छल।

    मिथिलेश मिश्र अहि सं पहिने प्रखंड मुखिया संघक उपाध्यक्ष छलाह, जिनका प्रखंड मुखिया संघक अध्यक्ष बनाओल गेल।