बेनीपट्टी मे जीविका कर्मी के गोली मारि कय हत्या

    0
    288

    मधुबनी, मिथिला मिरर: साहरघाट थाना क्षेत्रक बौरहर मुख्य पथ पर बिजली पावर सब-स्टेशन के समीप बुधदिन भोर मे करीब दस बजे मोटरसाइकिल सवार दू टा अपराधी जीविका कर्मी के गोली मारि कय हत्या कय देलक। मृतक के पहिचान सहरसा जिलाक भगवानपुर निवासी मोतीलाल यादव के पुत्र जवाहर कुमार के रूप मे कायल गेल अछि। घटना के बाद अपराधी साहरघाट दिस भागि गेल। जवाहर मधवापुर मे जीविका कर्मी के रूप मे काज कय रहल छल।

    घटनास्थल पर पाछु करैत दूनू अपराधी जवाहर के ओवरटेक करैत किछु दूर गेल, तकरा बाद गाड़ी के वापस घुमा कय नजदीक सं गोली चला देलक। गोली लागितहि जवाहर मोटरसाइकिल सं खसि पड़ल जकरा बाद अपराधी दोसर गोली सेहो चलौलक।
    घटना के सूचना तत्काल साहरघाट थाना पुलिस के दय देल गेल। पुलिस मौका पर पहुँचि कय जवाहर के साहरघाट पीएचसी लय गेल, मुदा टा धरि जवाहर के मौत भय चुकल छल। घटना के बाद पुलिस अपराधी के तलाश मे छापेमारी कय रहल अछि।