अस्पताल पड़ल बीमार, आब दवाइ के देत

0
374

समस्तीपुर, मिथिला मिरर : समस्तीपुर जिलाक सदर अस्पताल किछु दिनसँ बीमार पड़ी गेल अछि। अस्पतालमे जरूरी दवाइ सेहो नै अछि जाहि कारणसँ  मरीज सभकें  दवाई नहि भेट रहल छनि। जखन कि एहि महिनामे रोगीक संख्या बेसिये भ’ जाइत अछि। मौसम बदलबाक कारण लोक सभ बीमार पड़ि जाइत छथि। सर्दी-खांसी, बुखार आदि भेनाई त’ आम बात थिक, एहि मौसममे बच्चासँ बूढ़ धरि प्रभावित रहैत छथि। एहनमे आश्चर्यक गप्प  अछि जे शारीरिक रूपसँ अस्वस्थ भेला पर लोक सभ अस्पताल जाइत छथि त’ ओतय हुनका लोकनिकें दवाइयों नै भेटैत छनि। डाक्टर मरीजके देखलाक बाद दवाईकेँ पर्ची थमा दैत छनि, मुदा अस्पतालमे दवाइ नै भेटैत छनि। एहन कहल जाइत छनि जे अखन अस्पतालमे कफ सिरप आ एंटी-बायोटिक दवाइ त’ नै अछि, एंटी-रैबीज इंजेक्शन सेहो स्टोरसँ  बिलायल अछि। एहन परिस्थितिमे रोगी सभकें बड्ड बेसी परेशानीक सामना करय पड़ैत छनि। अस्पतालमे दवाइ नै उपलब्ध रहबाक कारण स्वास्थ्यकर्मी आ मरीजक बीच अक्सर तू-तू, मैं-मैं के नौबत बनल रहैत अछि, जाहि कारण अक्सर स्वास्थ्यकर्मीकेँ  परेशानी उठाबय पडैत छनि। बेसी काल दवाइ काउंटरसँ  मरीज आ हुनक परिजन निराश मनसँ  घुमि अबैत छथि। मुदा स्वास्थ्य विभाग मरीजक एहि समस्याक  निदान लेल रुचि नै देखा रहलाह अछि। सदर अस्पतालमे दवाइकें कमीसँ गरीब मरीजकें सबटा भोगय पड़ि रहल छनि। सरकारी अस्पतालमे दवाइ नहि  रहलासँ   रोगीकें बाहरसँ  दवाइ कीननाइ मजबूरी बनि गेल छनि एहिसँ  हुनक आर्थिक शोषण सेहो भ’ रहल छनि। दवाइ उपलब्ध करेबाक लेल उपाधीक्षक डॉ. अमरेंद्र नारायण शाही विगत 12 जुलाई 2018कें   सिविल सर्जनके  चिट्ठी लिखने छलाह मुदा सदर अस्पतालमे अखनि धरि  दवाइके आपूर्ति नहि  कएल गेल। चिट्ठीमे  सदर अस्पतालक आपातकालीन विभाग, प्रसव कक्ष, शल्य कक्ष आ भंडारमे दवाइ ख़तम हेबाक जानकारी सिविल सर्जनकेँ  द देल गेल अछि।