निलंबित शिक्षाकर्मी’क अवहेलनाक कारण होली नहि खेलेताह कुलपति

    0
    264

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयकें कुलपति प्रो. राजकिशोर झा अहि बेर होली नहि मनेबाक घोषणा केलनि। प्रो. झा कहलनि जे, विश्वविद्यालयकें बहुतो शिक्षक एवं शिक्षकेतरकर्मी निलंबित छथि। विश्वविद्यालय हुनका जीवन यापन भत्ता नहि दए रहल अछि। राज भवनक आदेश प्राप्त अछि जे, तीन महिनाक भीतर विभागीय कार्यवाही कएल जाय संगहि जा धरि कार्यवाही अंतिम रूप सं समाप्त नहि होएत टा धरि जीवन यापन भत्ता देल जाए। मुदा महिनो बितलाक बादो विभागीय कार्यवाही प्रारंभ नहि भेल अछि।

    प्रो. झा कहलनि जे, जा धरि अंतिम प्रतिवेदन प्राप्त नहि होएत ता धरि विश्वविद्यालय अधिनियमके अनुरूप जीवन यापन भत्ता देनाई मानवीय काज अछि। मुदा जीवन यापन भत्ता नहि देल जा रहल अछि। ओ कहलनि जे, उक्त निलंबित कर्मचारीके परिवारक दुख सं दुखी छी।

    ओना विश्वविद्यालय काज संस्कृतिमे बदलाव करैत प्रो. झा द्वारा निलंबित शिक्षक एवं शिक्षकेतर पर त्वरित कारवाईके तहत विभागीय कार्यवाही प्रारंभ कएल गेल अछि। मुदा कुलपति अहि बीच उक्त निलंबित शिक्षक एवं शिक्षकेतर कर्मीके परिवारक दुखमे शामिल होइत होली नहि मनेबाक निर्णय लेलनि अछि।