विवाहिता’क संग ईलाजक दौरान दुष्कर्म केलक चिकित्सक

    0
    270

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: मोतीपुर गाम मे बुधदिन भोर मे विवाहिताक संग ग्रामीण चिकित्सक इलाज के क्रम मे दुष्कर्म केलक। अहि बाबत पीड़िता के बयान पर महिला थाना मे प्राथमिकी दर्ज कायल गेल अछि। दर्ज प्राथमिकी मे बताओल गेल अछि जे, बुधदिन युवती बीमार भेलाक उपरांत घर मे सुतल छल। परिजन ग्रामीण चिकित्सक ओम प्रकाश साह के चिकित्साक लेल बजेने छल। इस क्रम मे आरोपी विवाहिता के संग बलात्कार केलक, संगहि हो-हल्ला केला पर जान सं मारबाक धमकी देलक।

    पीड़िता के अनुसार बलात्कार के उपरांत आरोपी चलि गेल, अहि के बाद पीड़िता के मां घर पहुंचल त पीड़िता पूरा घटनाक जानकारी देलक। घटनाक जानकारी के उपरांत पीड़िता के रेफरल अस्पताल ताजपुर मे इलाज कराओल गेल। जाहि के बाड़े पीड़िता महिला थाना मे घटनाक जानकारी दैत लिखित शिकायत केलनि।