पांच-पांच बच्चाक मां-बाप प्रेम प्रसंगक बाद केलनि विवाह, समाज केलक बहिष्कार

    0
    280

    मिथिला मिरर: बिहारक बांका मे पांच बच्चाक मां-बापक प्रेम प्रसंग काफी चर्चाक विषय बनल अछि।मामला बांका जिलाक शंभूगंज थाना क्षेत्र स्थित सोतीचक गामक हरिजन टोल के अछि, जतय अशोक दास के फूलन देवी स प्रेम भय गेलनि। सूत्रक अनुसार अशोक दास आ फूलन देवी के पांच-पांच टा बच्चा छन्हि, तकरा बावजूद दूनू के बीच प्रेम एतेक परवान चढ़ल कि दूनू कोर्ट मे विवाह केने बिना नहि मानलथि।

    एम्हर दूनू के परिजन सहित ग्रामिण के ई प्रेम नीक नहि लगलनि, आ तामस मे आबि कय लोक अशोक दासक धुनाई कय देलक। बाद मे पंचायतक मुखिया थाना के सूचित केलनि। पंचायतक मुखिया निगम कुमारक कहब छन्हि जे, एक साल पहिने फूलन देवीक नाम सं इंदिरा आवास आवंटित भेल छल।रुपैयाक लोभ मे अशोक दास फूलन देवी के प्रेमजाल मे फंसा लेलक, जकरा बाद फूलन स रुपैया ठगि कय अशोक एकटा ऑटो सेहो किनलक।

    मां के अहि हरकत स फूलन देवीक पांचों बच्चा शंभूगंज थाना पहुँचि कय न्यायक गुहार लगौलक। जकरा बाद शंभूगंज के थानाध्यक्ष अभिषेक कुमार अशोक दास के घर पर छापेमारी कय दूनू के पकड़ी कय थाना अनलाह। थाना मे काफी जद्दोजहद के बाद दूनू के परिजन अहि विवाह के लेल सहमति देलनि,  आ मामला थाना पर सुलझि गेल। बाद मे गाम मे पंचायत बजा क दूनू के दस सालक लेल गाम सं निकाली देल गेल आ दूनूक परिवार के सेहो हुक्का-पानी बंद करबाक फरमान सुनाओल गेल।