चुनावक ऐलान संग राजनीतिक पार्टी आ चुनावी गतिविधी लेल गाइडलाइन जारी, नहि होयत कोनो पैघ रैली, कोरोना रोगी केँ भेटत अंतिम मे मौका

0
646

पटना, मिथिला मिरर : शुक्रदिन चुनाव आयोग बिहार चुनाव लेल विधिवत चुनावी बिगुल बजा देलक। एहिक संग आई सँ बिहार मे आचार संहिता सेहो लागू भ’ गेल। एतबे नहि कोरोना काल मे होमय वला चुनावक मद्देनजर चुनाव आयोग राजनीतिक गतिविधी लेल सेहो गाइडलाइन जारी क’ देलक।

गाइडलाइन केँ मुताबिक एहिबेर हरेक पार्टी आ प्रत्याशी के वर्चुअल चुनाव प्रचार करय पडत। कोनो पैघ जनसभा करबाक अनुमति नहि देल जायत। नामांकन केँ समय मात्र दूटा गाड़ी उम्मीदवार ल’ जा सकैत छथि।

चुनाव आयुक्त सुनील अरोड़ा ने साफ क’ देलनि जे चुनाव प्रचार केँ दौरान एक संगे पाँच सँ बेसी लोक नहि जा सकैत छथि। घरे-घर प्रचारक क्रम मे सेहो उम्मीदवार समेत मात्र पाँच लोक जा सकैत छथि। कोरोना गाइडलाइन केँ तहत दू गज दूरी आ मास्कक प्रयोग अनिवार्य रहत।

मुख्य चुनाव आयुक्त सुनील अरोड़ा जानकारी लेनी जे कोरोना काल मे होमय वला चुनाव केँ मद्देनजर नव सुरक्षा मानक केँ पूर्णतया पालन कराओल जायत। एहिबेर मतदान केंद्र पर सेहो मतदाताक संख्या सुनिश्चित कएल गेल अछि। एकटा केंद्र पर एक हजार सँ बेसी मतदाता नहि रहता। एहि चुनाव मे एक लाख सँ बेसी मतदान केंद्र बनाओल गेल अछि। चुनाव सन लोकतांत्रिक पर्व मे लोकतांत्रिक अधिकार संग नव सुरक्षा मानक संग कोनो समझौता नहि कएल जायत।

चुनाव आयोग पोस्टल बैलेट केँ व्यवस्था पर कहलनि जे जरूरत आ माँगक हिसाब सँ एहि केँ व्यवस्था कएल जायत। कोरोना रोगी आखिरी समय मे स्वास्थ्यकर्मी लोकनि केँ निगरानी मे मतदान करताह। ताहि लेल एक घंटा मतदानक समय बढ़ाओल गेल अछि।

चुनाव प्रचार सिर्फ वर्चुअल आ नामांकन सेहो ऑनलाइन दाखिल कएल जा सकैत अछि। एहि के अलावे राजनीतिक दल लेल अनिवार्य कएल गेल अछि जे ओ वेबसाइट पर उम्मीदवारक आपराधिक जानकारी दैथ। उम्मीदवार केँ अखबार मे सेहो अपन आपराधिक रिकॉर्डक ब्यौरा देबय पड़तनि। सोशल मीडिया केँ दुरूपयोग पर सेहो कार्रवाई कएल जायत।

कोरोना केँ देखैत चुनाव आयोग राज्यक निर्वाचन आयोग के एहिबेर 6 लाख पीपीई किट उपलब्ध कराओत संगे 46 लाख मास्क आ सेनेटाइजर सेहो देल जायत ताकि कोनो चुनावकर्मी कोरोना सन संक्रामक बीमारी केँ चपेट मे नहि आबैई। संगे मतदाता लेल 7.5 करोड़ मास्क देल जायत।

कोरोना संक्रमणक खतरा के देखैत हरेक मतदाता के मतदान करबाक बाद ईवीएम मशीन केँ  सेनिटाइज कएल जायत। सोशल डिस्टेंसिंग आ मास्क केँ बिना मतदान करबाक अनुमति नहि देल जायत।

बतादी जे एहिबेर बिहार मे करीब 8 करोड़ मतदाता अपन मताधिकार केँ प्रयोग करताह। चुनाव आयोग द्वारा जारी आँकड़ा केँ मुताबिक 3 करोड़ 39 लाख महिला आ 3 करोड़ 79 लाख पुरुष मतदाता छथि। एतबे नहि 18.87 लाख प्रवासी सेहो छथि। एही केँ अलावे 16 लाख युवा नव मतदाता छथि जे पहिल बेर अपन मताधिकार के प्रयोग करताह।