सीडीएस टाॅपर अनुभव मिश्रक संग मिथिला मिरर केर संपादकक एक्सक्लूसिव बातचीत

    0
    483

    दिल्ली-मिथिला मिररः एक दिस मिथिला अपन ललना शहीद विकस कुमार मिश्रकें अश्रुपूर्ण विदाई देवामे शोकाकूल छल त दोसर दिस एकटा आओर मैथिल ललना मैथिलजनकें एकटा एहन सुखद समाचार देलनि जेकरा सुनलाक बाद समस्त मैथिलक छाती गर्व सं चौड़ा भए गेल। हालाहि संपन्न भेल सीडीएस (कंबाइंड डिफ़ेंश सर्विस) केर परीक्षामे प्रथम स्थान पाबि मिथिलाक माथ-पागकें गौरव सं ऊंच कऽ देलाह। मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा आ अनुभव मिश्रक बीच भेल फोन पर एक्सक्लूसिव बातचीतक संक्षेप अंश अहि ठाम अछि जेकरा अपने सब पढ़ि सकैत छी आ समाचारक नीचामे बातचीत सुनवाक लेल यूट्यूब लिंक सेहो देल गेल अछि।
    प्र0. अनुभव सब सं पहिने त अहांकें अहि गौरवमयी सफलताक लेल संपूर्ण मिथिला सह मिथिला मिरर परिवारक दिस सं कोटि-कोटि बधाई आ शुभकामना। संगहि अपने परिचय सेहो जानय चाहब?
    उ0. बहुत-बहुत आधार आ धन्यवाद समस्त मिथिलावासीकें। हमर नाम अनुभव मिश्र अछि आ हमर पिताजी केर नाम भक्तिनाथ मिश्र छन्हि। हम मूल रूप सं मधुबनी जिलाक देहैट गाम जे झंझारपुर लग अछि ओहिठामक निवासी छी। हमर पिताजी पांच भाई छथि आ पैछला 25 साल सं धनबादमे छथि आ ओतय ओ भारत सरकारमे कार्य कए रहला अछि। हमर प्रारंभिक शिक्षा-दिक्षा सबटा धनबाद सं संपन्न भेल अछि।
    प्र0. अपने अपन उच्च शिक्षाक विषयमे कने जानकारी देल जाउ?
    उ0. जी हमर प्रारंभिक शिक्षा धनबाद सं संपन्न भेल अछि ओ त हम उपर सेहो कहने रही ओहिकें बाद हम आईआईईएसटी (इंडियन इंस्टीट्यूट आॅफ इंजीनियरिंग साइंस एंड टेक्नोलाॅजी शिबपुर, पश्चिम बंगाल) सं हम बीटेक केलौह ओकरा बाद हम आईआईटी कानपुर सं एयरोस्पेस एमटेक कऽ रहल छलौह ओहि बीचमे हम सीडीएस कें परीक्षा देलौह प्रथम चरण पास केलाक बाद फेर मेडिकल आ साक्षात्कारक बाद हम 126 गोट छात्र-छात्रामे प्रथम स्थान अनलौह।
    प्र0. कतेक छात्र-छात्रा अहि परीक्षामे बैसल छलाह आ कतेक गोटे उतीर्ण भेलाह?
    उ0. पूरा भारत सं अहि परीक्षामे 4.5 लाख बच्चा बैसल छलैथ मुदा कुल सीट चारि सौ अछि। हलांकि अहिमे सलेक्शन कने कम होइत छैक त अहि बेर तीनू थल, जल आ वायु सेनाकें मिला कऽ 126 गोट बच्चा पास केलाह जाहिमे मैरिट लिस्टक आधार पर हम टाॅप पर रहलौह। हमरा शुरूये सं आर्मी मे जेवाक इच्छा छल आ ओहि लेल हम इंटरकें बाद आईआईईएसटी मे एडमिशन लेने रही। हमरा परिवार सं हम प्रथम व्यक्ति छी जे सेनामे गेलौह अछि, अहि सं पहिने कियो गोटे सेनामे नहि छलैथ। बहुत मुश्किल सफ़र छल आ लगभग डेढ़ सालक पूरा प्रक्रिया सं गुजरलाक बाद जे छै से हमर चुनाव भेल।
    प्र0. अपने इंडियन मिलिट्री एकेडमीमे 92 आ इंडियन नेवी एकेडमीमे 31 केर चेल चयनीत भेलौह त अपने कतय ज्वाइन करब?
    उ0. सर हम इंडियन मिलिट्री एकेडमी देहरादून ज्वाइन करब कारण हमर प्रथम पसंद आर्मी छल आ ओहि लेल हम आर्मी ज्वाइन करए जा रहलौ अछि। जनवरी 2017मे हमर ट्रेनिंग शुरू भए जाएत आ इ ट्रेनिंग डेढ़ सालक होइत छैक। हां हमरा एखन एमटेक कें रोकए पड़त लेकिन ओकरा बाद मे पूरा करवाक प्रावधान छै।
    प्र0. अनुभव अहांकें मिथिला मैथिलीमे की नीक लगैत अछि?
    उ0. सर हमरा मिथिला मैथिलीक सभ्यता संस्कार सं लए रहन-सहन सब किछु नीक लगैत अछि। हमर इ कोशिश सतत रहल अछि जे कम सं कम सालमे एक बेर हम गाम जाइ कारण गाम हमरा बहुत पसंद अछि आ ओहिठाम दादा-दादीक स्नेह सतत भेटैत रहल अछि जे हमरा बहुत नीक लगैछ।
    प्र0. अहांक सफलतामे किनका लोकनिक हाथ रहलनि अछि?
    उ0. सबहक सहयोग भेटल सर, माता-पिता, भाई समाज, समस्त शिक्षकगण आ तमाम शुभचिंतकक आशीर्वाद हमरा भेटल आ ओहि कारण हम आई अपनाकें सफल होइत देख रहल छी।
    प्र0. मैथिल युवा लोकनिक लेल कोनो संदेश देबय चाहवैन जे तैयारी मे छथि?
    उ0. जी सर, हम बस एतेबे कहवैन जे कखनो हताश जुनि होइत, कोनो जरूरी नहि छैक जे सफलता एके बेर मे हाथ आबि जाइत छैक। लागल रहि आ अपना लक्ष्य पर अपन ध्यान केन्द्रित करी एक ने एक दिन सफ़लता अवश्ये हाथ लागत।
    अनुभव अपने कें बहुत-बहुत धन्यवाद जे अपने मिथिला मिररकें एतेक समय देलौह।
    सर अहूूंकें बहुत-बहुत आभारजे हमरा सं अपने बातचीत केलौह।