ताबत कारनी के आँखि बैस जएतै (नेपाल सन्दर्भ )

    0
    306

    सेंट लुइस (अमेरिका),मिथिला मिरर-काली कान्त झा ‘तृषित’: समय पर कोनो कार्य संम्पन्न नहि भेला सँ की परिणाम होइत छैक तकर कतेक सटीक ई कहबी छैक “यावत बिषहरा के भाव उठतन्हि, तावत कारनी के आँखिए बैस जएतन्हि”. पता नहि ई कहबी सभ के कोना कहिआ शुरू कएने हएतै? कोन प्रसंग मे शुरू भेल हएतै? से चाहे एकर इतिहास जे किछु होइक लेकिन बुझाइत छैक जे सभटा कहबी नेपाले के लेल चरितार्थ छैक एखनुके प्रसंग देखल जाए:- २०७२ बैशाख १२ गते महाभूकम्प आएल छलैक जकर अही सप्ताह मे बर्ष दिन पुरलै, ओहि भूकम्प के ६ घंटा के भीतर भारतक सहयोग प्राप्त भ गेल छलैक आ तकरा बाद त बिभिन्न देश विदेशक सहयोग के ढेरी लागि गेल छलैक लेकिन पीड़ित बर्ग के एखन तक डपोड़शंखी भाषण आ निर्लज्जतापूर्ण आश्वासन बाहेक ढ़ंग सँ आओर किछु नहि प्राप्त भेल छैक.

    अरबौं अरब रूपैयाके सहयोग राशि पर सभ शक्तिशाली पार्टीक गिद्धदृष्टि छलन्हि तैं कतबो जोर शोर सँ बिशेषाधिकार सम्पन्न पुनर्निर्माण प्राधिकरण के गठनक बात चललै एकरे माध्यम सँ पीड़ित बर्ग के सब सहयोग एवं ध्वंस भेल सम्पदा के पुनर्निर्माणक कार्य युद्ध स्तर मे सम्पन्न कराओल जएतै तकर खूब प्रचार प्रसार कराओल गेलै मुदा से गठन हएबा मे खींचा तानीक चलते अनावश्यक रूपमे अत्यन्त बिलम्ब होइत रहलै लेकिन आाश्वासन बाँटऽ मे कोनो कमजोरी नहि देखएलै आ प्राधिकरण त एखनो पूर्णता नहि पाबि सकल अछि तैं काम काज आगा बढ़बाक त कोनो संकेत नहि देखा रहल छैक. ओमहर भूकम्प पीड़ित सबहक व्यथा कथाके ओरे अन्त नहि भूकम्पक बादक पहिल अन्हर बिहाड़ि,बर्षा जाढ़ खेपैत खेपैत आश्रय स्थल के फाटल पालके सिबैत सिबैत उड़िआएल त्रिपाल के बेर बेर बन्हैत छनैत अपन बेबसी पर मूक क्रन्दन करैत आब इ दोसर बैशाखक अन्हर बिहाड़ि पाथरक मारि सहन करबाक हेतु शक्ति सन्चय करऽ मे संलग्न अछि.

    ओमहर बिभिन्न दातृ संस्था लगायत देश बिदेश सँ तगेदा आबि रहल छैक जे देल सहयोग राशि के किएक उपयोग नहि भ रहल अछि एहन हालति मे देल सहयोग राशि फिर्ता लऽ लेल जाएत किछु त फिर्ता भइयो गेल छैक. एखने नेपालक किछु सांसद लोकनि जापान भ्रमण मे छथि ओतऽ हिनका लोकनि सँ पूछल गेल छलन्हि जे जापान सँ देल ३२ अरब सहयोग राशि के की कोना खर्च भऽ रहल छैक इ लोकनि जबाब की देथिन्ह बस बुच्ची दाई चुप्प. प्राधिकरण के प्रगति ई छैक बाँटि चूटि कऽ सब रकम खा जएबाक हेतु आब गैर सरकारी संघ संस्था अर्थात एन जी ओ, आइ एन जी ओ सभक मार्फत काज कराओल जएतै तैं प्राधिकरण आब गैर सरकारी संघ संस्था परिचालन कार्यविधि निर्देशिका जारी कऽ रहल छैक. इएह करबाक छलैक त एतेक बिलम्ब आ एतेक नाटक किएक ?एहि तरहे कखन बिषहराक भाव उठतन्हि जे पीड़ित सभक कल्याण हएतन्हि आब त पशुपतिनाथे रक्षा करथिन्ह.