आब अमेरिका मे पढ़ि सकताह एलएनएमयू’क छात्र

    0
    401

    दरभंगा, मिथिला मिरर: ललित नरायण मिथिला विश्वविद्यालय के कुलपति डॉ. साकेत कुशवाहा कहलनि जे, विश्वविद्यालय दरभंगा के छात्र-छात्रा आब अमेरिकाक राइज आ मिश्कल टेक यूनिवर्सिटी मे पढ़ी सकताह। दूनू विश्वविद्यालय के विशेषज्ञ वैज्ञानिक एवं शिक्षकक बीस सदस्यीय टीम जनवरी-फरवरी मे ललितनारायण विश्वविद्यालय अओताह। ओ एतय के विशेषज्ञ शिक्षकक संग-संग छात्रक संग बातचीत करताह।

    एक्सेंज ओपेन प्रोग्राम के तहत अमेरिका सं आयल विशेषज्ञ अप्पन एतुका शिक्षक के एतय पठौताह आ एतय के शिक्षक के अमेरिका के विश्वविद्यालय मे पढ़ेबाक लेल एवं अप्पन स्कील के डेवलपमेंटक मौका देताह। एतय शिक्षकक संग-संग एतय के छात्र के सेहो अप्पन स्कील इम्प्रूभ करबाक मौका भेटत। अमेरिका मे पढ़बाक मदक सब खर्च 42 हजार डालरक वहन यूनिवर्सिटी करत। मात्र छात्रावासक खर्च छात्र के वहन करय पड़त।

    एतय बैचलर डिग्रीक तर्ज पर एकटा नव प्रोग्राम थ्री प्लस वन प्लस वन प्रोग्राम डेवलप कायल जायत। जकरा माध्यम सं एतय के छात्र सेहो अमेरिकाक तर्ज पर पांच वर्षीय डिग्री कोर्सक माध्यम सं मास्टर डिग्री प्राप्त कय सकत। ओ कहलनि जे, एकरा अलावा हमरा अमेरिकन रिसर्च लेबोरेट्री आ एयरफोर्स रिसर्च एकेडमी मे रिसर्च करबाक मौका भेटत, जे एतय के छात्रक लेल गौरवक विषय अछि।