सीतामढ़ी मे न्यायालय के आदेशक बादो नहि दर्ज भेल प्राथमिकी

    0
    272

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: मुख्य न्यायिक दंडाधिकारीक आदेशक बावजूद चोरी व लूटक एकटा मामला मे मेजरगंज थाना मे घटनाक प्राथमिकी दर्ज नहि कायल जा सकल अछि। ज्ञात हो कि मेजरगंज के बड़हरवा निवासी महेश दासक संग चोरी व लूटक वारदात भेल छल। पीड़ित अहि संबंध मे कोर्ट मे मुकदमा दर्ज करौने छल।

    मुकदमाक सुनवाई करैत न्यायालय 11 जनवरी क मेजरगंज थाना के घटनाक प्राथमिकी दर्ज करबाक आदेश देने छल। न्यायालय के आदेश देलाक 14 दिन बादो मेजरगंज थाना द्वारा ने त घटनाक प्राथमिकी दर्ज कायल गेल आ ने पीड़ितक लूटल गेल सामानक बरामदगी कायल गेल। पीड़ित थाना द्वारा अपराधिक मदद करबाक आरोप लगबैत एसपी सीतामढ़ी स कार्रवाई के गुहार लगेलक अछि।