सड़क कात मे ठाढ़ व्यक्ति के बसक टक्कर सं मौत

    0
    268

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के बासोपट्टी मुख्य सड़क पर रविदिन भोर मे भारत पेट्रोल पंप के समीप सड़क कात मे मोटरसाइकिल ठाढ़ कय आपस मे गप्प कय रहल युवक के बस कुचलि देलक। उमगॉव स मधुबनी जा रहल बसक ठोकर स विनय कुमार झा गम्भीर रूप सं जख्मी भय गेल। घटना के बाद घायल के तुरंत बासोपट्टी पीएचसी मे भर्ती कराओल गेल। जतय डॉक्टर विनय कुमार के मृत घोषित कय देलक।

    सूत्रक अनुसार घटना सं किछु काल पहिने ओ घटनास्थल पर पंहुचल छल। मृतकक पहचान विनय कुमार झा बासोपट्टी बाजारक ब्राम्हण टोल निवासी किशोर झा के पुत्रक रूप मे कायल गेल अछि। मौत के खबरि के बाद आक्रोशित लोक लहास के सड़क पर राखि बभन्दैय चौक पर सड़क जाम कय देलक। रोड जाम स कलुआही बासोपट्टी पथ मे दर्जनो गाड़ीक कतार लागल रहल।

    घटना स्थल पर बीडीओ सत्रुन्जे कुमार सिंह, थानाध्यक्ष प्रेम कुमार भारती पुलिसक संग पहुँच जेल छलाह। घटनाक सुचना पर जयनगर डीएसपी घटना स्थल पर पंहुचकय मृतकक परिवार स बातचीत केलनि आ सरकार स भेटय वला सुविधा देबाक संग हर संभव सहायताक भरोसा देलनि, तहन जा कय जाम हटल आ यातायात सुचारू भेल।