बिहार मे जूनियर डॉक्टर हड़ताल पर, 11 गोटेक मौत, मानवाधिकार आयोगक संज्ञान

    0
    272

    दिल्ली-मिथिला मिररः पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल सहित बिहार कें सबटा छह गोट मेडिकल कॉलेजक जूनियर डॉक्टर हड़ताल पर सोमदिन चलि गेलाह। जूनियर डॉक्टरक हड़ताल पर गेला सं राज्यमे स्वास्थ्य व्यवस्था चरमरा सन गेल अछि। अकेले पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताले सोमदिन सं एखन 11 गोट रोगीक मृत्यु भय गेल जखन कि स्थिति लगातार भयावह बनल जा रहल अछि।
    अपने कें बाता दी जे रविदिन राइतमे एकटा इंजीनियर इलाज करेवाक लेल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल पहुंचल छलाह जाहिठाम इलाजक अभाव आ पीएमसीएचमे व्याप्त कुव्यवस्थाक कारणें उक्त इंजीनियरक निधन भय गेल छलनि। ओहिकें बाद इजीनियरक परिजन सब पीएमसीएचमे बहुत बेसी हंगामा केने छलाह। अहिकें बाद जूनियर डॉक्टर हड़ताल पर चलि गेल छलाह। स्थिति एतेक भयावह बनल अछि कि पीएमसीएचकें आपातकालीन वॉर्ड सं कतेको मरीजकें दोसर अस्पतालमे जाए पड़लनि।
    अहि घटनाकें स्वतः संज्ञान लैत मानवाधिकार आयोग स्वास्थ्य विभागकें प्रधान सचिव सं जवाब मंगलक अछि। पीएमसीएचमे भय रहल रोगीक मृत्युकें लय सख्त रूख अपनावैत मानवाधिकार आयोग आईजी सं सेहो रिपोर्ट तबल केलक अछि। पीएमसीएचकें हड़तालकें लय स्वास्थ्य विभागक प्रधान सचिव आर के महाजन कहला कि जूनियर डॉक्टर कें जे जायज मांग हैत ओहैटा मानल जाएत। जहां तक प्रिंसिपल कें हटेवाक मांग अछि ओहिकें त कोनो सवाले नहि उठि रहल अछि। एक दिस राज्यमे शासन-प्रशासन अपन लचर अवस्थामे पहुंच चुकल अछि त दोसर दिस राज्य स्वास्थ्यक जे व्यवस्था अछि ओहो अपन अहि रूपे आम लोकक मुंह चिढ़ा रहल अछि।