सीतामढ़ी मे सरस्वती पूजा उत्सव के दौरान सात गोट बच्चा बेहोश, एक गोटेक मौत

    0
    299

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: डुमरा प्रखंडक भासर मछहां उत्तरी पंचायत के मध्य विद्यालय कमलपुरा में मंगलदिन राति सरस्वती पूजाक तैयारी मे जुटल आठ गोट छात्र बेहोश भय गेल। बुधदिन भोरे सब के सदर अस्पताल आनल गेल, जतय एकटाक मौत भय गेल। अन्य बच्चा के गंभीर हालत मे एसकेएमसीएच रेफर कय देल गेल। जानकारीक अनुसार, विद्यालय के एकटा कम रा मे बच्चा सरस्वती पूजाक तैयारी मे जुटल छल।

    मंगलदिन राति 30-35 टा बच्चा साज-सज्जा व अन्य कार्य करैत छल। देर राति आठ टा बच्चा कमरा मे सूति रहल। खिड़की केबारी बंद छल। जहनकि अंदर मे होंडा जेनरेटर चलि रहल छल। भोर सब बच्चा बेहोश छल। जेनरेटर चलि रहल छल। चिकित्सक डॉ. अब्दुल बासितने कहलनि जे, बच्चा ऑक्सीजनक कमी आ कार्बन मोनोआक्साइडक अधिकता के कारण बेहोश भेल अछि। इलाज के दौरान रामभगत सिंह के पुत्र रतीश कुमारक मौत भय गेल।