राजद सं शहाबुद्दीनक पत्नी हेती एमएलसी त राबड़ी, जेठमलानी जेतथि राज्य सभाः सूत्र

    0
    285

    दिल्ली-मिथिला मिररः पूर्व बाहुबली सांसद आ राष्ट्रीय जनता दलक राष्ट्रीय टीमक सदस्य आ एखन पत्रकार राजदेव रंजन हत्याकांडमे कथित संलिप्ताक कारणें सुर्खी मे आएल शहाबुद्दीक पत्नी हिना शहाबुद्दीनकें राजद एमएलसी बनेवाक योजना बना रहल अछि। राजदेव रंजन हत्याकांड के कथित रूप सं नाम एवाक कारणें भागलपुर सेंट्रल जेल भेजला सं नाराज चलि रहल शहाबुद्दीन कें मनेवाक लेल लालू प्रसाद यादव इ डेग उठेलाक अछि।
    ओमहर सूत्र सं खबैर आबि रहल अछि कि राजद प्रमुख लालू प्रसाद यादव, पूर्व मुख्यमंत्री आ अपन पत्नी राबड़ी देवीकें राज्य सभा भेजवाक तैयारी क चुकल छैथ त दोसर दिस देशक जानल-मानल वकील रामजेठ मलानीकें सेहो राज्य सभा पठेवाक तैयारी पर मुहर लागि गेल अछि। हालांकि सूत्रक मानी त राजदक अहि निर्णय सं जेडीयू खेमामे नाराजगी देखल जा रहल अछि।