दरभंगामे दस दिवसीय ग्रामीण स्वरोजगार प्रशिक्षण शुरू

    0
    256

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगाक सहोड़ा गामक सामुदायिक भवनमे सेंट्रल बैंक ऑफ इंडिया दिस सं दस दिवसीय ग्रामीण स्वरोजगार प्रशिक्षण सह उद्यमवृत्ति जागरूकता कार्यक्रम शुरू कएल गेल अछि। जकर उद्घाटन ग्रामीण प्रशिक्षण संस्थानक निदेशक वीडी. झा आ स्थानीय मुखिया विजय पासवान केलनि। अहि मौका पर निदेशक कहलनि जे, संस्थान द्वारा बहुतो क्षेत्रमे प्रशिक्षण दिएबाक कार्यक्रम लगातार चलाओल जा रहल अछि।

    संस्थान प्रशिक्षण प्राप्त करय वलाकें संबंधित बैंक सं ऋण सेहो मुहैया करेबामे अपन तत्परता देखबैत अछि। मुखिया विजय पासवान कहलनि जे, उक्त संस्थान द्वारा बेरोजगारकें स्वरोजगार मुहैया करेबाक लेल विभिन्न तरहक प्रशिक्षण देबाक काज कएल जा रहल अछि, जे सराहनीय अछि।

    मौक़ा पर प्रशिक्षक धर्मेंद्र कुमार ठाकुर आ मनीष कुमार गुप्ता तथा श्रवण कुमार कहलनि जे, चयनित 30 जीविका महिला दीदीकें स्वावलंबी बनेबाक लेल प्रशिक्षित कएल जा रहल अछि। प्रशिक्षणके उपरांत अपन स्वरोजगार ठाढ़ करबाक लेल सेहो हुनका सबके प्रोत्साहित कएल जाएत। मौका पर जीविकाके जेआरपी अजीत पासवान आदि मौजूद छलाह।