अगिलग्गीमे तीन गोट माल सहित एक लाखक संपत्ति खाक

    0
    325

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीकें मधेपुर थाना क्षेत्रक भखराईन गाममे भेल अगिलग्गी सं तीन गोट माल सहित एक लाखक संपत्ति जरिकय खाक भए गेल। आगि लगबाक कारण मवेशी घरमे जराओल गेल घूर बताओल जा रहल अछि। ग्रामीणक भारी मशक्कतके बाद चापाकलक पानि सं आगि पर काबू कएल जा सकल।

    अहि घटनामे तेतर मुखियाक माल घर जरि गेल एवं ओहिमे बान्हल एकटा गाय एवं दू टा बाछीक मौत भए गेल। दसई मुखियाक आवासीय घर एवं किराना दोकान तथा मिश्री मुखियाक आवासीय घर सेहो जरि गेल। ओतहि आगि मिझेबाक क्रममे सियाराम मुखियाक आवासीय घर उजाड़िकए फेंकि देल गेल। अहि घटनामे कपड़ा, बर्तन, अनाज, फर्नीचर, साइकिल सहित लगभग एक लाखक संपत्ति जरबाक अनुमान अछि।