बच्चाक स्वास्थ्य सँ खिलवाड़ कए रहल अछि निगम

    0
    263

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: स्कूलक बाहर कूड़ाक ढेरी लगा कए नगर निगम बच्चाक स्वास्थ्यक संग खिलवाड़ कए रहल अछि। मामला मुजफ्फरपुरकें बैंक रोड स्थित आदर्श विद्या मंदिरक अछि। सामाजिक कार्यकर्ता संजय कुमार केजरीवाल कहलनि जे, विद्यालय सं सटल सड़क पर पूरा वार्डक कूड़ा जमा कएल जाइत अछि। जाहि सं स्कूलक सैकड़ों छात्र-छात्राक स्वास्थ्यकें नुकसान पहुंच रहल अछि।

    बच्चाकेँ कूडाक बीच सं आबय-जाए पड़ैत अछि। कूडा सं उत्पन्न बदबू सं कक्षामे बैसब मुश्किल भए जाइत अछि। विद्यालय प्रबंधन बहुतो बेर डंपिंग प्लेस हटेबाक मांग कय चुकल अछि। बावजूद निगमकें नींद नहि खुजि रहल अछि। स्थानीय वार्ड पार्षद सेहो अहि दिस ध्यान नहि दए रहल अछि।

    संजय केजरीवालकें अनुसार यदि निगम प्रशासन नहि जागत और डंपिंग स्थलकें नहि हटाओल गेल त बाध्य भए छात्र-छात्रा आ अभिभावकक संग सरकार तक आवाज बुलंद करय पडत। ओ कहलनि जे, जरूरत पड़ला पर न्यायालय तक जा सकैत छी। ओतहि विद्यालय प्रबंधन समितिक सचिव पवन बंका कहलनि जे, बहुतो बेर निगम प्रशासनकें स्थिति सं अवगत कराओल जा चुकल अछि। मुदा, शिकायतक अनदेखी कए देल जाइत अछि।