सड़क दुर्घटना मे शिक्षिकाक मौत

    0
    264

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: नानपुर थाना क्षेत्रक बासोपट्टी गाम निवासी शिक्षिका मंजू कुमारी के सड़क दुर्घटना मे मौत भय गेलनि। ओ विद्यालय के काज सं मोटरसाइकिल स अप्पन भतीजा राजू कुमारक संग डुमरा डीईओ ऑफिस स काज निपटा कय घर वापस आबि रहल छलाह। रस्ता मे डुमरा थाना क्षेत्रक बड़हरवा गामक समीप मोटरसाइकिल सड़कक कात मे खड्डा मे खसि पड़ल।

    मोटरसाइकिल चला रहल राजू के मामूली चोट लागल अछि, जहन कि शिक्षिका के इलाजक लेल सदर अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल, जतय इलाजक दौरान मौत भय गेल। शिक्षिका पुपरी प्रखंडक कुसैल मध्य विद्यालय मे पदस्थापित छली। हुनकर पति महेन्द्र पासवान डुमरा न्यायालय मे अधिवक्ता छथि।