30 प्रतिशत केंद्र मे चयन नहि भेल, फेर सं होयत आमसभा

    0
    308

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बाल विकास परियोजना के तहत आंगनबाड़ी केंद्र मे सेविका व सहायिका के रिक्ति भरबाक लेल कवायद जारी अछि। हालहिं मे चयन के तिथि निकलल छल, मुदा 30 फीसद केंद्र पर नियुक्तिक लेल आमसभा नहि भय सकल अछि। अहि के देखैत फेर सं तिथि घोषित करबाक निर्णय लेल गेल अछि।

    बृहस्पति दिन जिला कार्यक्रम पदाधिकारी बालाकांत पाठक केंद्रवार आमसभा व चयनक समीक्षा केलनि। अहि दौरान स्पष्ट भेल जे, 30 फीसद केंद्र पर चयन नहि भय सकल अछि। अहि के देखैत फेर सं तिथि तय करबा पर सहमति बनल अछि। बताओल जा रहल अछि जे, बहुत केंद्र पर वार्ड सदस्यक असहमति के कारण एहेन स्थिति उत्पन्न भेल अछि। एम्हर, डीपीओ पाठक कहलनि जे, जिला मे कार्यरत महिला पर्यवेक्षिका के बीच टैबक वितरण कायल गेल।

    विभागीय निर्देशक आलोक मे एएसएमएस के माध्यम स सूचना के आदान-प्रदान व ससमय जानकारी देबाक उद्देश्य स वितरण कायल गेल अछि। अहि के तहत जिला के लेल 113 टैबक आवंटन कायल गेल अछि।