बिहार बोर्ड पर लागल दाग के मेटेता रिटायर्ड अधिकारी

    0
    324
    आयुक्त आनंद किशोर बोर्ड मे जाहि पदाधिकारी के नियुक्ति केलाह, ओहि मे परीक्षा नियंत्रक अजय कुमार सिंह (प्रशासनिक सेवा से सेवानिवृत्त) सेहो शामिल छथि। हिनका अलावा शैक्षणिक निदेशक डॉक्टर अखिलेश्वर कुमार, बिहार शिक्षा सेवा स सेवानिवृत्त अपर सचिव प्रकाश रंजन कुमार, बिहार शिक्षा सेवा स सेवानिवृत्त राज कुमार प्रसाद, कल्याण एवं उप कर आयुक्त भारत सरकार स सेवानिवृत्त मुख्य निगरानी पदाधिकारी अजीत कुमार सिंह, बिहार प्रशासनिक सेवा स सेवानिवृत्त सूर्य नारायण सिंह, हरेंद्र नारायण तथा सुरेश ठाकुर, विधि पदाधिकारी अजीत कुमार सिन्हा, जिला एवं सत्र न्यायाधीश (सेवानिवृत्त जनसंपर्क पदाधिकारी) राजीव रंजन द्विवेदी, मुख्य लेखा पदाधिकारी पीके सिंह, लेखा पदाधिकारी बसंत कुमार जायसवाल, अजय कुमार गुप्ता, उपनिदेशक अर्जुन कुमार, सिस्टम एनालिस्ट स्वयंभू प्रसाद स्वामी सेहो शामिल छथि।
    अहि के संग बोर्ड मे विभिन्न प्रकारक सामग्रिय क्रय के लेल क्रय समितिक गठन कायल गेल अछि। जाहि मे अनूप कुमार सिन्हा के अध्यक्ष बनाओल गेलन्हि। अहि के अलावा योगेश मिश्रा, अशोक चंद्र बर्णवाल, वीके वणिक के सेहो नव जिम्मेवारी देल गेल।

    बहरहाल, आब देखय बला बात अछि जे, नियुक्त कायल गेल सब अधिकारी बोर्डक दामन पर लागल दाग धोबा मे कतेक सफल होईत छथि।