पूर्व बाहुबली सांसद शहाबुद्दीन सं जेल मे भेंट केलाह, नीतीश कुमारक मंत्री अब्दुल गफ्फूर

    0
    264

    दिल्ली-मिथिला मिररः सीवान सं आरजेडीक पूर्व बाहुबली सांसद आ कतेको रास केस के तहत आजीवन कारावासक सजा काटि रहल शहाबुद्दीन सं पैछला 6 मार्च कऽ जेल मे जा हुनका सं भेंट-घांट कय हुनका संग बात-चीत केलाह। एतबे नहि मंत्री अब्दुल गफ्फूर पूर्व बाहुबली सांसद शहाबुद्दीनक संग जेलक भीतर भोजन सेहो केलाह।

    जेल सं जखन इ फोटो लीक भेल त जाहि तरहक फोटो लोकक सामने आयल ओहिमे इ स्पष्ट देखना जा रहल छल कि इ भेंट-घांट जेल मे नहि अपितु कोनो 5 सितारा होटल मे कैल गेल हो। हालांकि बिहार सरकार अल्पसंख्यक कल्याण मंत्री अब्दुल गफ्फूर एकरा एकटा औपचारिक भेंटघांट करार दय रहला अछि। मुदा आब जखन इ फोटो सामने आबि गेल अछि त अहि फोटो सं बहुत रास प्रश्न स्वतः ठाढ़ हैत जाहिमे बिहार सरकार मे लालूक बर्चस्व आ नीतीशक सुशासन मुख्य रूप सं लोकक जुबान पर रहत।