डबल इंजन केर सरकार सँ परेशान अछि बिहारक जनता, केंद्र सेहो करैत अछि सतौत सन व्यवहार : पप्पू यादव

0
552

मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर : बिहार मे राजनीतिक गतिविधी बढ़ी चुकल अछि। हरेक दल जनता केँ बीच अपन बेसी सँ बेसी उपस्थिति दर्ज करेबाक कोशिश क’ रहल अछि। जन अधिकार पार्टी केँ मुखिया पप्पू यादव सेहो राज्यक जनता संग संवाद कायम क’ रहल छथि। जाप राज्य भरि मे सदस्यता अभियान चला रहल अछि। एहि क्रम मे जाप केर राष्ट्रीय अध्यक्ष पप्पू यादव शनिदिन मुजफ्फरपुर पहुँचलाह। पहिने सँ तय मिलन सामरोह मे मुजफ्फरपुर जिलाक भोर विधानसभा क्षेत्र सँ सैकडों नेता आ दोसर दलक कार्यकर्ता लोकनि जन अधिकार पार्टी (लो) केँ सदस्यता ग्रहण कएलनि। मंदिरी स्थित जाप कार्यालय मे पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष पप्पू यादव भोरे विधानसभा सँ इंजीनियर मनोज कुमार बैठा, विनय पांडे, राजद सँ जियाउल हक,  योगेंद्र प्रसाद यादव, राजा बाबू वर्मा,आ वाल्मीकि बैठा केँ जापक सदस्यता दियौलनि।

मिलन समारोह केर सम्बोधित करैत पप्पू यादव कहलनि जे बिहारक जनता वर्तमान मे केंद्र आ राज्य सरकार सँ परेशान अछि। सरकारक गलत नीति केँ कारण गरीबी आ भुखमरी बढ़ल अछि। बिहारक आर्थिक हालात सेहो ठीक नहि अछि। सरकार लोक सभ पर लाठी चलबाबै छैक। हालहि स्कूल शिक्षक सभ पर सेहो लाठी भांजल गेल। एतबे नहि सरकार सँ जे कियो अपन अधिकार केँ माँग करैत अछि सरकार ओकरा पर लाठीचार्ज करबा दैत छैक। सरकारक मुखिया नीतीश कुमार छथि त’ लोक अपन बात केकरा सँ कहत।  केंद्र केँ आड़े हाथ लैत कहलनि जे मोदी जी मात्र घोषणा करैत छथि। सभटा हवाहवाई छैक। हकीकत ई थिक जे अखनि धरि राज्य सरकार केँ जीएसटी केर हिस्सा तक नहि देल गेल अछि। प्रधानमंत्री पैकज पर पैकेज घोषणा करैत अछि मुदा फण्ड कतय चलि जायत अछि। जँ केंद्र सरकार समय पर पाई दैत त’ बिहारक ई स्थिति नै रहैत।

जाप केँ सरकार बनला पर गरीब गुरबा सँ ल’ हरेक वर्ग लेल काज कएल जायत। मकान, शिक्षा आ रोजगार पहिल प्राथमिकता रहत। पलायन के दंश झेल रहल बिहारी युवा लोकनि केँ बिहार मे रोजगार उपलब्ध कराओल जायत। जाप केँ नीति स्पष्ठ छैक। यैह कारण थिक जे आई लोक सभ जाप सँ जुडैत छथि। जनताक आशीर्वाद सदिखन भेटैत रहैत अछि। आब देखबाक बात ई अछि जे चुनाव मे जनता हिनका कतेक सीट दैअत छथि।