आब अटल महासेतुकेँ नामसँ जानल जायत कोसी महासेतु

0
1390

सुपौल/मधेपुरा, मिथिला मिरर : एनएच 57 पर सनपतहामे कोसी नदी पर बनल कोसी महासेतुकेँ नाम आब अटल महासेतु क’ देल गेल अछि। एहिक घोषणा केंद्रीय मंत्री नितिन गडकरी मधेपुरामे आयोजित कार्यक्रमक दौरान वृहस्पतिदिन 28 फरवरीकेँ कएलनि। जानकारी दैत छातापुरकेँ भाजपा विधायक नीरज कुमार सिंह बबलू कहलनि जे मंचसँ बिहार सरकारक पथ निर्माण मंत्री नंदकिशोर यादव एकर माँग रखलनि आ केंद्रीय मंत्री अपन सहमति जतबैत एकर घोषणा क’ देलनि। बतादी जे एनएच 57 आ कोसी महासेतु पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी बाजपेयी जीक परिकल्पनाक नतीजा अछि। संगहि सालों धरि विखंडित मिथिलाकेँ जोड़बामे अपन अहम भूमिका निभेलक। नतीजा ई भेल जे एहि पुलक नाम हुनके नाम पर होई एहन तरहक माँग एकटा लम्बा समयसँ चलि रहल छल। एतबे नहि किछु जनप्रतिनिधि लोकनि द्वारा कोसी महासेतूक नाम अटल जीकेँ नाम पर होइ एहि लेल हस्ताक्षर अभियान सेहो चलाओल गेल छल। केन्द्रीय मंत्री द्वारा कएल गेल घोषणासँ भेटल सफलतासँ लोक सभमे बहुत खुशीक माहौल अछि।

सांसदक माँग भेल पूरा, सहरसा आ सिंहेश्वरमे बनत ओवरब्रिज

केंद्रीय मंत्री नितिन गडकरी मिथिलाक कोसीवासी लेल कतेको सौगात देलनि। सभसँ पैघ बात ई रहल जे एहि दौरान मधेपुराक सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादवकेँ माँगकेँ केन्द्रीय मंत्री मानी लेलाह। केंद्रीय मंत्री गड़करी कहलाह जे सांसद लगातार योजनाकेँ मादे हुनकासँ भेट करैत रहलाह अछि आ बेर-बेर दिल्लीमे याद करबैत रहलाह अछि। यैह कारण अछि जे मधेपुरामे हुनक कार्यक्रम बनल। मंचसँ सांसद तीनटा माँग रखलनि जेकरा मानैत तत्काल काजक निर्देश तक द’ देल गेल। एहि दौरान कहलनि जे सिंहेश्वरमे ओवरब्रिज बनत आ करीब 70 करोड़ रुपैयाक लागतसँ सहरसामे सेहो रेलवे ओवरब्रिजकेँ निर्माण होयत। एतबे नहि जल्दिये फुलौतमे कोसी नदी पर पुल निर्माणक बात सेहो कहलनि। फोर लेन पुल पर 1500 करोड़ रुपैया खर्च होयत। कार्यक्रमक बाद सांसद पप्पू यादव कहलनि जे ओ लगातार दिल्लीमे क्षेत्रक विकास लेल सभ नेतासँ भेट करैत रहैत छथि। एतबे नहि संसदमे सेहो लगातार आवाज उठबैत रहलाह अछि। सांसद कहलनि जे जखन धरि हम रहब लोकक विकासकेँ लेल काज करैत रहब। बतादी जे 28 फरवरीकेँ केंद्रीय मंत्री नितिन गड़करी एक दिवसीय दौरा पर मधेपुरा गेल छलाह आ कतेको योजनाक शिलान्यास आ लोकार्पण कएलनि। बीएन मंडल स्टेडियम परिसरमे आयोजित एहि कार्यक्रममे परिवहन मंत्री नितिन गड़करी, बिहारक उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी, पथ निर्माण मंत्री नंदकिशोर यादव आ स्थानीय सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव उपस्थित छलाह।