दरभंगा मे तीन जगह चलि रहल अछि अवैध बस स्टैंड

    0
    319
    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा मे तीन जगह पर अवैध रूप सं बस स्टैंडक संचालन कायल जा रहल अछि। अहि सं निगम के लाखो रुपैयाक चूना लागि रहल अछि। तीनू बस स्टैंड सड़क पर बनाओल गेल अछि। अहि कारण संबंधित जगह पर हमेशा जामक स्थिति रहैत अछि। अहि जामक असर अन्य मार्ग पर लगातार पड़ैत अछि।
    ट्रैफिक व्यवस्था दुरुस्त करबाक लेल सचेत देखेबाक कोशिश कय रहल पुलिस सेहो अहि दिस कोनो ध्यान नहि दैत अछि। नगर निगम तथा जिला प्रशासन के सेहो अहि अवैध स्टैंड सं कोनो परेशानी नहि भय रहल अछि।
    दरभंगा रेलवे स्टेशन के सामने महावीर मंदिर के निकट, दिलावरपुर दोनार तथा बाघघर मोड़ पर अवैध बस स्टेंडक संचालन होईत अछि। रेलवे स्टेशनक निकट सं कमतौल रूट, दिलावरपुर सं बेनीपुर तथा बिरौल तथा बाघघर मोड़ सं केवटी दिस जाय वला पैघ तथा छोट बस एवं टेक्सीक परिचालन होइत अछि।
    तीनू जगह पर किछु स्थानीय लोक दवंगता देखबैत बस तथा टेक्सी चालक सं रुपैया वसूली करैत अछि। बदला मे संबंधित जगह पर गाड़ी ठाढ़ करबा तथा क्रम मे खोलबाक व्यवस्था देल जाइत अछि। दिलावरपुर तथा बाघघर मोड़ पर स्थानीय दवंगक बस स्टेंड पर कब्जा अछि। ओतहि रेलवे स्टेशनक निकट संचालित होबय वला स्टेंड सं अप्पना के निगम के कर्मचारी बताबय वला एकटा व्यक्ति रुपैया वसूल करैत अछि।