मांगक समर्थन मे हड़ताल पर ग्रामीण बैंक मित्र

    0
    281

    मधुबनी, मिथिला मिरर: लदनियां कामेपट्टी हाई स्कूल परिसर मे बृहस्पति दिन ग्रामीण बैंकक बैंक मित्रक बैसक भेल। बैठकक अध्यक्षता रामभरोस यादव केलनि। बैसक मे 12 सूत्री मांगक लेल चलि रहल बेमियादी हड़ताल के प्रभावकारी बनेबा पर विचार-विमर्श कायल गेल। बैंक प्रबंधन द्वारा बैंक मित्रक समस्या पर ध्यान नहि देल जाय पर चिंता व्यक्त कायल गेल।

    बैसक मे संघक झंझारपुर जोन के अध्यक्ष श्रवण कुमार देवकान्त भारती, सुरेन्द्र प्रसाद, रविशंकर भास्कर, अजीत सिंह, अमरनाथ साह, ओमप्रकाश यादव, प्रमोद कुमार, वीरेन्द्र कुमार विमल, विनोद कुमार मिश्रा, अशोक कुमार यादव, बैद्यनाथ पासवान एवं वशिष्ठ नारायण यादव समेत दू दर्जन स अधिक बैंक मित्र भाग लेलनि।

    उक्त संघक झंझारपुर जोन के अध्यक्ष श्रवण कुमार अप्पन सम्बोधन मे कहलनि जे, जा धरि बैंक प्रबंधन हमर मांग पर विचार नहि करताह ता धरि हड़ताल जारी रहत।