विपक्ष फैला रहल अछि भ्रम, जनता देखैत अछि काज, न्यायक संग विकास पर माँगब वोट : नीतीश कुमार

0
652

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे जेना-जेना चुनावक समय नजदीक आबि रहल अछि, नेता सभक बीच जुबानी जंग तेज भेल जा रहल अछि। एकबेर फेर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार विपक्ष पर हमला कएलनि अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार राजद राज आ लालू परिवार पर हमला करैत कहलनि अछि जे हमरा सँ पूर्व जे 15 बरख धरि सत्ता मे छलाह हुनका लेल मात्र हुनक परिवार आ बेटा-बेटी तक विकास सीमित छल। मुदा हमरा लेल पुरा बिहार परिवार अछि।’ परिवारवाद पर हमला करैत कहलाह जे किछु लोक पार्टी मात्र परिवार वास्ते बनौलाह। घोर परिवारवाद केँ बढ़ावा देल गेल। आब वैह पार्टी जनताक बीच भ्रम फैला रहल अछि। जनता मात्र काज देखैत अछि। हम 15 साल के हिसाब जनता केँ द’ रहल छी। हिम्मत होइन त’ ओ अपन 15 सालक हिसाब जनता केँ बीच राखि क’ चुनाव मे वोट माँगी क’ देखैत जनता की जवाब दैत छनि।

बिहार मे विकासक काज कएल जा रहल अछि। जनता केँ सुख दुःख मे सरकार भागीदार बनैत अछि। समाजक हरेक तबका लेल काजक संग न्याय कएल गेल। एहि चुनाव मे विकासक संग न्यायक मुद्दा पर जनता जनार्दन सँ चुनाव मे वोट माँगल जायत। एक दिस हम काज पर काज केने जा रहल छी। दोसर दिस विपक्ष लग कोनो मुद्दा नहि अछि। तैं ओ जनता केँ बीच भ्रम केँ स्थिति बना रहल छथि। जनता आब जागरूक अछि। किनको बात मे नहि आओत। सभ बुद्धि विवेक सं काज करैत छथि। राजद के बिना नाम लेने कहलाह जे जाहि पार्टी मे वरिष्ठ नेता लोकनि केँ इज्जत तक नहि कएल जाइत होई, जनता हुनका सँ की उम्मीद क’ सकैत अछि। दुष्प्रचारक कोनो असर एहि चुनाव मे देखबा लेल नहि भेटत।

मुख्यमंत्री कहलनि जे जनता काजक भूखल अछि, बातक नहि। हम अपन शासनकाल मे जतेक संभव भेल काज करबाक प्रयास कएलहूँ। सभक संग न्याय आ समावेशी सरकारक मूल मंत्र पर हमर सरकार चलैत अछि। हमर संकल्प अछि ज’ जनता फेर मौका देत त’ आबय वला समय मे बिहार विकसित राज्यक कतार मे ठाढ़ रहत।