कप्तानी छोड़ि सबके हैरान केलनि महेन्द्र सिंह धोनी

    0
    315

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: भारतीय क्रिकेट जगत के आईसीसी’क लगभग सब टूर्नामेंट मे विजेता बनाबय वला कप्तान महेंद्र सिंह धौनी बुधदिन अचानक वनडे आ टी-20’क कप्तानी छोड़ि कय दुनिया भरिक अप्पन प्रशंसक के चौंका देलनि। धौनी अहि फैसलेक जानकारी हुनकर परिजन आ खास दोस्त तक के नहि छल। ओ अहि बातक भनक साथी रणजी खिलाड़ि तक के नहि लागय देलनि, जहन कि ओ टीमक मेंटर छथि आ पिछला चारि दिन सं नागपुर मे झारखंड रणजी टीमक संग छथि।

    धौनी एहेन क्रिकेटर छथि, जे क्रिकेट के हेलीकॉप्टर शॉट देलनि। वनडे आ टी-20 मैच मे धौनी नि:संदेह बेहतरीन मैच फिनिशर छथि। सचिनक तुलना ब्रैडमेन आ गावस्कर सं होईत अछि, गांगुलीक कप्तानी के तुलना पोंटिंग सं, मुदा धौनीक तुलना करब तर्कसंगत नहि।

    सामान्य परिवेश मे रहि कय महान सपना देखबा आ अप्पन काबिलियत पर विश्वास हिनका सफल कप्तान बनेलक। धौनीक उपलब्धिक लेखा-जोखा महज हार-जीत, शतक-अर्धशतक आ रैंकिंग सं नहि भय सकैत अछि।

    फिलहाल भारतीय क्रिकेट के सब सं सफल कप्तान आ फिनिशर क्रिकेटक सब प्रारूप के कप्तानी छोड़बाक घोषणा कय देलनि अछि, मुदा धोनी’क प्रशंसक लेल ई ख़ुशी के बात अछि जे, धोनी एकदिवसीय आ टी-20 मैच मे अप्पन बल्ला सं कमाल करैत रहताह।