राजकीय सम्मानक संग देल गेल अंतिम बिदाई, पंचतत्व मे विलीन भेलाह रघुवंश बाबू

0
769

वैशाली, मिथिला मिरर : राजनीतिक जगत मे ‘रघुवंश बाबू’ के नाम सँ मशहूर प्रखर समाजवादी नेता रघुवंश प्रसाद सिंह सोमदिन पंचतत्व मे विलीन भ’ गेलाह। वैशाली जिलाक महनारक हसनपुर घाट पर हुनक अंतिम संस्कार कएल गेलनि। हुनक छोट पुत्र शशि शेखर मुखाग्नि देलनि। पूरा राजकीय सम्मानक संग हुनका अंतिम विदाई देल गेल। बतादी जे रघुवंश प्रसाद केँ पैतृक आवास बिहारक वैशाली जिलाक महनार प्रखंडक गोरीगामा पंचायत अंतर्गत पानापुर पहेमी गाम मे छनि

जनतब होयत जे रघुवंश प्रसाद केँ मृत्यु रविदिन दिल्ली स्थित एम्स अस्पताल मे भ’ गेल छलनि। हुनक अंतिम दर्शन लेल हजारों केँ भीड़ जुटल छल। हुनक अंतिम संस्कार मे राजद नेता तेजस्वी यादव, बिहार सरकारक प्रतिनिधी केँ तौर पर सूचना आ जन संपर्क मंत्री नीरज कुमार उपस्थित छलाह। करीब पाँच दशक तक सक्रिय राजनीति मे छलाह। ओ पैछला 32 साल सँ लालू यादव केँ संग छलाह। मुदा अंतिम समय मे पार्टी सँ इस्तीफा द’ देलनि।

लोहिया, कर्पूरी आ जेपी सँ बेसी प्रभावित छलाह। हुनक आदर्श पर सतत चलबाक प्रयास कएलनि। समाजवादी विचारधारा केँ प्रबल समर्थक छलाह। विश्वक सभसँ पैघ रोजगार योजना मनरेगा केँ असली सूत्रधार छलाह रघुवंश बाबू। राजनीतिक जीवन मे गरीब गुरबा आ किसान हितैषी मुद्दा केँ सड़क सँ संसद तक उठबैत रहलाह।  रघुवंश जीक निधन सँ बिहार समेत सम्पूर्ण भारत मे शोकक लहर अछि। सरल आ प्रखर वक्ता केँ रूप मे सदिखन सामाजिक सरोकार सँ जुड़ल मुद्दा उठबैत रहलाह। एतबे नहि राजनीति मे अपना जीबैत अपना परिवारक कोनो सदस्य के नहि आबै देलाह। मतलब परिवारवाद के बेहद खिलाफ रहैत छलाह।