ऐतिहासिक कमला-बलान पुलक जीर्णोद्धार हेबाक रस्ता साफ

0
1730

मधुबनी, मिथिला मिरर : मधुबनी जिलाक झंझारपुरमे कमला नदीक उपर बनल एकटा एहन पुल अछि जाहि पर ट्रेन आ सड़क आवागमन दुनू होइत रहल अछि।  अँग्रेजक जमानाक बनल ई पुल करीब 150 साल पुरान अछि। एहि सड़क रूपी रेल मार्ग पर ट्रेन, गाड़ी-घोड़ाक संग पैदल यात्री सेहो सहज रूपसँ पुल पार करैत देखल जाइत छथि। ई देशमे इकलौता एहन रेल-सड़क पुल थिक।  ई पुल दरभंगा-झंझारपुरक बीच पुरना एनएच-57 पर अछि। मरम्मत नै होयबाक चलते 700 फीट लम्बा एहि पुलक स्थिति खराब भ’ गेल। मुदा आब एकर मरम्मतीक रस्ता खुजी गेल अछि। झंझारपुर स्थित कमला बलान रेल-सड़क पुलक जीर्णोद्धारमे आबय वला सभ बाधा आब दूर भ’ गेल। एकर श्रेय सीधे झंझारपुरक पूर्व विधायक नीतीश मिश्राकेँ देल जा रहल अछि जे हुनके पहल पर एहि रेल सह सडक पुल बनबाक रस्तामे आबय वला तमाम बाधा खत्म भेल। रेलवे बिहार सरकारक अनुरोधकेँ स्वीकार क’ लेलक अछि आ पुलक मरम्मत करबै लेल चिठ्ठी पठेलनी अछि। समस्तीपुर मंडल रेल प्रबंधक एहि मामलामे बिहार सरकारक पथ निर्माण विभागकेँ प्रधान सचिव अमृत लाल मीनाकेँ अपन चिठ्ठी जकर पत्रांक डब्लू 310 हितकारी भाग 4 290 के माध्यमसँ एहि आशयकेँ स्वीकारोक्ति पत्र देलनि अछि जाहिमे अपन शर्त जोड़ैत लिखलनि अछि जे बिहार सरकार एहि पुलकेँ जीर्णोद्धार करा अपन उपयोग करय, मुदा पुलक मालिकाना हक रेलवेक लग रहत। रेलवेकेँ जखन एहि जगह पर आन कोनो दोसर पुलक आवश्यकता होयत त’ रेलवे एकर उपयोग करत। नीतीश मिश्राक पहल पर एहिसँ पूर्व दू-दू बेर तीन महिनाकेँ भीतर इंजिनियर सभक टीम एहि पुलकेँ जाँच केने छल।

एहिसँ पूर्व बिहार राज्य पुल निर्माण निगमक उपमुख्य अभियंता योजना अंचल पटना, वरीय परियोजना अभियंता कार्य, प्रमंडल दरभंगा आ परियोजना अभियंता अवर प्रमंडल मधुबनी सेहो जाँच केने छल आ अपन संयुक्त जाँच प्रतिवेदन विभागकेँ सौपी देलक जाहिमे अनुशंसा कएल गेल जे जाहि स्टील गाटरसँ पुल बनल अछि ओकर यथोचित उपचार आवश्यक अछि जे अविलब कएल जाय। पुरान लकड़ीक गुटखाके बदलि ओकर बदला नवका स्टील बेस प्लेट लगाओल जेबाक चाही। लकड़ीक स्लीपरकेँ हटा स्टीलक क्रॉस गर्डर लगाओल जाय। ट्रफ प्लेट लगा ओकरा ऊपर कंक्रीटक काज सेहो कराओल जेबाक चाही। पुल बनि जेबाक बाद हल्का वाहन लेल खोलल जा सकैत अछि। पूर्व मंत्री नीतीश मिश्रा बतौलनी जे आब एहि पुल लेल टेंडर होयत आ जल्दिये पूलक जीर्णोद्धार काज शरू होयत। एहि खबरिकेँ बाद एहि इलाकाक लोक सभ खुशी जाहिर कएलनि अछि।