माँ-बेटी के डायन कहि तीन दिन धरि निवस्त्र कय नचाउल गेल

    0
    264

    नवादा, मिथिला मिरर: नवादा जिलाक सिरदला थाना क्षेत्रक खरौंध तुरिया टोल पर मानवता के झकझोरि कय राखि दय बला एकटा घिनौना घटना प्रकाश मे आयल अछि। दिकभ्रमित आ आधुनिक पढल लिखल मुर्ख लोकक द्वारा एकटा युवती आ ओकर बृद्धा माँ के डायन कहि तीन दिन तक बंधक बना नचाउल गेल। अहि दौरान दुनू के पिटाई सेहो कायल गेल। बुधदिन जहन भोर मे दुनू कोनो तरहे जान बचा कय भगबा मे सफल भेली तहन मामला उजागर भेल।

    सूत्रक अनुसार पीड़ित मां-बेटी कहलनि जे, पूर्व टोलक रहय बाली एकटा महिला पांच दिन पूर्व एकटा बच्चा के जन्म देने छली। जन्मक किछुए घड़ी बाद नवजातक मौत भय गेल। जाहि पर हुनकर परिवार हमरा दुनू मां-बेटी के डायन कहि आरोप लगा देलनि जे, नवजातक जान हम लेलहुँ। जकरा बाद ओझा-गुणी के बजा हमरा दुनू के डायन कहि बंधक बनाउल गेल।

    बंधक बनेलाक बाद ओझा-गुणी तंत्र-मंत्रक नाम पर दुनू के निवस्त्र कय नचबाक लेल मजबूर कय देलक। अहि दौरान दुनू के पिटाई सेहो कायल गेल। अहि मामला मे मां-बेटीक बयान पर एफआइआर दर्ज कय लेल गेल अछि। हालांकि सब आरोपी फरार बताओल जा रहल अछि।