मैथिल छात्र मे जौं चेतना जागत त हमहुं सुपर-30 देब- डाॅ शेखर झा

    0
    277

    दिल्ली-मिथिला मिरर: मिथिला मिरर विशिष्ट सम्मान-2014’क मंच सं जखन मिथिला मिरर’क संस्थापक संपादक ललित नारायण झा मंच सं संघ लोक सेवा आयोग मे मैथिली भाषा सं तैयारी करैवला छात्र कें मुफ्त शिक्षा दियेवाक बात कहने रहैथ त ओहि बात पर तत्कालीन मिथिला मिरर’क किछु तथाकथित सदस्य ओ अन्य व्यक्ति मोन मे बहुत टीस ओ छगुंता लागल छलन्हि आ ओ सब सार्वजनिक रूपें ओहि बातकें आलोचना सेहो केने छलाह।

    मुदा बृहस्पतिदिन मिथिला मिरर’क संपादक ललित नारायण झा’क आग्रह पर मैथिली भाषा मे आईएएस बनेवाक बखारही आ मिथिला विभूति पूर्णेन्दु शेखर उर्फ डाॅ. शेखर झा कहला जे जौं मिथिला क्षेत्रक बच्चा मे ललक जगतै आ ओ सब व्यापक स्तर पर मैथिली भाषाकें ऐच्छिक विषय बना संघ ओ राज्य लोक सेवा आयोगक तैयारी करताह त हम मिथिला मिरर कें इ वचन दैत छी जे हमहुं मिथिला सह देशवासी कें संघ लोक सेवा आयोग मे मैथिली भाषा मे सुपर-30 देब। जौं हमरा लग ओहि मात्रामे छात्र पढ़वाक लेल औता सं मिथिला क्षेत्रक गरीब बच्चा कें ‘कलक्टर, एसपी सहित अन्य’ पर पहुंचायब हमर काज रहत।
    डाॅ. शेखर झा मिथिला मिरर सं बातचीत करैत कहला जे अहि बेर पंद्रहे टा नहि अपितु करीब 19 टा बच्चा मैथिलीकें विषय बना अहि बरख पास केलाह अछि। बकौल डाॅ. झा हमरा ओहिठाम सं पंद्रह आ बच्चा पास केलक आ तीन गोट अन्य एहन गुरूक नाम हमरा स्मरण मे अछि जाहि ठाम सं सेहो एक-एक टा कऽ बच्चा पास केलाह अछि आओर भय सकैत छैक किछु आओर बच्चा सेहो हेताह।
    मिथिला मिरर’क संग मंथन आईएएस अकेडमी दिल्लीक संस्थापक सह निदेशक डाॅ. शेखर झा’क पूर्ण बातचीतक यूट्यूब लिंक नीचा अछि जाहिठाम क्लिक कऽ अपने सब संपूर्ण बातचीत वीडियोक माध्यम सं सुनी सकैत छी।