बिहार सरकार देलक शराबक संग पकड़ल गेल गाड़ीकें जरेबाक निर्देश

    0
    251

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारमे शराबक संग पकड़ल गेल गाड़ीकें सरकार जरेबाक फरमान जारी केलक अछि। यानि जाहि गाड़ीमे शराब पकड़ल जाएत ओहि गाडीकें जब्त कय जरा देल जाएत। शराबबंदीक बाद एकरा सरकारक पैघ फैसला मानल जा रहल अछि। सरकारके मद्य निषेध मंत्री जलील मस्तान बृहस्पति दिन ई फरमान जारी केलनि। मंत्री शराब माफियाकें चेतावनी दैत कहलनि जे, जाहि-जाहि गाड़ी सं शराब पकड़ल जाएत ओहि गाड़ीकें कोनो हालमे नहि छोड़ल जाएत।

    मस्तान कहलनि जे, शराबक खेपके संग-संग ओहि गाड़ीकें नष्ट कएल जाएत जाहिमे शराबक ढुलाई भए रहल छल। मंत्री शराबक लगातार भए रहल बरामदगीके विषयमे कहलनि जे, अहि मामलाके डिस्पोजल होईत जब्त शराबकें नष्ट कय देल जाएत आ ई प्रक्रिया आगू सेहो जारी रहत।