गाड़ि ऐवामे विलम्ब भेल त मोटरसाइकिल सं रोगीकें देखवाक लेल एम्स पहुंचलाह ‘पप्पू’

    0
    320

    दिल्ली-मिथिला मिररः मधेपूरा सं सांसद आ जन अधिकार पार्टीक संस्थापक राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादवक आवास पर क्षेत्रिय रोगीक जमावड़ा त लगले रहैत अछि। शुक्रदिन अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्थान अर्थात एम्स सं पप्पू यादव लग एकटा मरीजक परिजनकें फोन ऐलनि जे अपनेक मदद केर बहुत आवश्यकता अछि। गाड़ि आ ड्राइवर समय पर नहि भेट पेवाक कारणें पप्पू अपन मोटरसाइकिल निकाली ओहि सं एम्स पहुंच गेलाह। एम्स मे रोगी कें देखैत आ समस्याक समुचित निदान करैत पप्पू अपना आवास पर पहुंचलाह।
    एखन वर्तमानमे सांसद पप्पू यादवक ओहिठाम करीब 200 सौ बेसी मरीज रहि रहल अछि। फोटोमे जे अपने देख रहल छी ओ ओहिक तस्वीर अछि। एम्स सं अपना कोठी पर आबि सांसद फेर ओहि मरीज आ हुनकर परीजन लोकनि सं भेंट कय हुनका लोकनिक बात सुनलनि। संगहि पप्पू यादव सार्वजनिक रूप सं लिखलाह अछि जे क्षेत्रक जे कोनो मरीज कें अगर रहवामे कोनो तरहक असुविधा होइन त ओ निधोख भए हुकनर आवास बलवंत राय मेहता लेन मे आबि रहि सकैत छथि। निश्चित रूपहिं पप्पू यादवक इ डेग एकटा सार्थक डेग अछि आ एकर जतेक प्रशंसा कैल जाए ओ कम छैक।