गैस सिलेंडर फटला सं 12 टा दोकान जरि कय खाक

    0
    276

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: बिहार के सीतामढ़ी जिलाक बाजपट्टी थाना क्षेत्र मे रसोई गैस सिलेंडर फटबाक कारने सोमदिन देर राति आगि लागि गेल। जाहि में 12 टा दूकान जलि कय खाक भय गेल।

    पुलिस सूत्रक अनुसार पिपराही बाजार निवासी बैजू महतो अप्पन हार्डवेयर दोकान मे अवैध रुप स गैस रीफिलिंग के धंधा करैत छल। सोमदिन देर राति दोकान मे शॉर्ट सर्किट स लागल आगि के कारण रसाई गैस सिलेंडर फाटि गेल जाहि सं पड़ोसक 11 टा अन्य दुकान सेहो जरि कय खाक भय गेल।