जमीनी विवादमे किशोरीकें जिबैत जरेलक पडोसी

    0
    295

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुरमे शनिदिन राति एकटा किशोरीकें पड़ोसी जिंदा ज़रा देलक। युवतिक हालत गंभीर बनल अछि। अत्‍यधिक जरलाक कारण देर राति धरि पुलिस बयान नहि दर्ज कए पेने छल। घटनाक कारण भूमि विवाद बताओल जा रहल अछि।

    जानकारीकें अनुसार समस्‍तीपुरक मोरदिबा गाममे मो. कयूमक पुत्री अनीसा खातून (14) शौचक लेल घर सं बाहर निकलल छल। अहि दौरान पड़ोसी पकड़ि कए शरीर पर मटिया तेल ढारि कए आगि लगा देलक।अनीसाकें हल्ला पर परिजन व ग्रामीण मौका पर पहुंचल। कोनो तरहे आगिकें मिझाएल गेल आ पीड़ितकें सदर अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल। जकरा बाद चिकित्सक मरीजकेँ डीएमसीएच रेफर कए देलक।

    सूचनाकें बाद समस्तीपुरके सदर डीएसपी तनवीर अहमद सदर अस्पताल पहुंचि कए पीडिताक हाल लेलनि, मुदा अधिक जरलाक कारण किशोरीक बयान नहि दर्ज भेल अछि।