दरभंगा रेल हादसा: स्टेशन आ ट्रेन मे तोड़फोड़, ट्रेनक परिचालन बंद

    0
    354

    दरभंगा, मिथिला मिरर: समस्तीपुर-दरभंगा रेल खण्ड पर स्थित रामभद्रपुर रेलवे स्टेशन के गुमटी संख्या 8 सी के समीप स्वतंत्रता सेनानी ट्रेनक चपेट मे एला सं तीन गोटेक मौत भय गेल तथा तीन गोटे घायल भय गेलाह।

    घटना के बाद तमसायल लोक रामभद्रपुर स्टेशन आ स्टेशन पर ठाढ़ समस्तीपुर-जयनगर डीएमयू ट्रेन मे तोड़फोड़ केलनि। लोक सं स्टेशन मास्टर के मोटरसाइकिल मे आगि लगा देलक। जाहि के बाद सब रेलकर्मी कोनो तरह स्टेशन छोड़िकय भागि गेलाह।

    घटना के बाद सं समस्तीपुर-दरभंगा रेलखंड पर ट्रेनक परिचालन बंद अछि। लोक सब तीनू लहास के रेलवे ट्रैक परराखि कय यातायात ठप्प कय देने अछि तथा घटनास्थल पर रेलवे के डीआरएम के बजेबाक, सब के उचित मुआवजा देबाक, आश्रित के नौकरी आ दोषी रेलकर्मी पर कार्रवाईक मांग कय रहल अछि।

    घटना मे एकटा बच्ची, एकटा युवक समेत एकटा व्यक्तिक मौत घटना स्थले पर भय गेल। सूत्रक अनुसार घटना मे रबीना कुमारी (12 वर्ष), सत्यम कुमार (16वर्ष) आ महेन्द्र राय (50 वर्ष) के मौत भय गेल, जहन कि रामचन्द्र राय आ समशेर नदाफ गंभीर रूप सं घायल भय गेल अछि।